एक्स्प्रेशन त्रुटि: अनपेक्षित उद्गार चिन्ह "२"।
अम्बर बदन झपाबह गोरि। राज सुनइ छिअ चांदक चोरि।। घरे घरे पहरु गेल अछ जोहि। अब ही दूखन लागत तोहि।। कतय नुकायब चांदक चोरि। जतहि नुकायब ततहि उजोरि।। हास सुधारस न कर उजोर। बनिक धनिक धन बोलब मोर।। अधर समीप दसन कर जोति। सिंदुर सीम बैसाउलि मोति।। भनइ विद्यापति होहु निसंक। चांदुह कां किछु लागु कलंक।।